बिहारक बेटी नेहा शर्मा केलनि कमाल, ऑस्कर मे मचेती धमाल

    0
    346

    पटना, मिथिला मिरर: बिहारक बेटी नेहा शर्मा बिहारी के बेर फेर गौरान्वित महूसस करबाक अवसर देलनि अछि। बॉलीवुड अभिनेत्री नेहा शर्मा अप्पन पहिल अंतर्राष्ट्रीय फिल्म ‘ह्वेन सांग’ के लेल बेहद उत्साहित आ रोमांचित छथि। ज्ञात हो कि ‘ह्वेन सांग’ के सर्वश्रेष्ठ विदेशी भाषाक फिल्मक श्रेणी मे ऑस्कर पुरस्कारक लेल चुनल गेल अछि।

    ‘ह्वेन सांग’ चीनक फिल्म अछि, जकर निर्देशन हुओ जिआनछी केलनि अछि आ एकर निर्माण वोंक कार-वाई केलनि अछि। फिल्मक कहानी सातम सदी के बौद्ध भिक्षुक चीन सं भारतक ऐतिहासिक यात्रा पर आधारित अछि।

    नेहा अप्पन अहि फिल्म के ऑस्करक दौड़ मे शामिल हेबा सं बहुत खुश छथि। फिल्म मे हुनकर संग सोनू सूद, अली फजल आ अन्य भारतीय कलाकार सेहो मौजूद छथि। एकटा साक्षात्कार के दौरान नेहा कहलनि जे, ‘हमरा एखनहि पता चलल अछि जे चीनक दिस सं अहि फ़िल्मक चयन ऑस्कर के लेल भेल अछि। ई अद्भुत एहसास अची हमरा लेल।