सवा घंटा अबेर सं भेटल प्रश्न पत्र, परीक्षार्थी केलक हंगामा

    0
    283

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: इंटरमीडिएट परीक्षाक पहिल दिन प्रथम पाली मे परीक्षार्थी कें अबेर सं भेटल प्रश्न पत्र सं आक्रोशित परीक्षार्थी हंगामा केलनि। महिला शिल्पकला बालिका उच्च विद्यालय परीक्षा केंद्र पर परीक्षार्थीक तामस देखल गेल। परीक्षा समाप्त भेला पर छात्रा सब केंद्र पर जमिकय हंगामा केलक। हंगामा मे छात्राक संग-संग अभिभावक सेहो शामिल छल। छात्रा के कहब छल जे, 11 बजे के जगह सवा 12 बजे प्रश्न पत्र देल गेल। करीब सवा घंटा लेट प्रश्न पत्र भेटल आ ठीक एक बजे उत्तरपुस्तिका छीन लेल गेल।

    प्रथम पाली मे बायोलॉजी आ इंटरप्रिन्योरशिप के परीक्षा छल। दुनू विषय के अधिकतर परीक्षार्थी प्रश्नक जवाब समय के अभाव मे नहि लिखि सकल। परीक्षार्थी परीक्षा समाप्त भेलाक बाद मुख्य प्रवेश द्वार पर हंगामा केलाक बाद केंद्र के अंदर प्रवेश कय गेल। परीक्षार्थी केंद्राधीक्षक सं शिकायत करबाक लेल पहुंचल, मुदा ओ परीक्षार्थीक बात सुनबाक लेल तैयार नहि छलाह।

    अहि के बाद फेर  हंगामा कायल गेल। अहि सं दोसर पालीक परीक्षा दय रहल परीक्षार्थी के सेहो परेशानी भेल। हंगामाक सूचना के बाद नगर डीएसपी, नगर थानाक पुलिस व अन्य अधिकारी पहुंचल। हंगामा कय रहल छात्रा मजिस्ट्रेट स शिकायत केलक। कोनो तरहे समस्याक समाधान नहि भेला पर करीब ढाई बजे परीक्षार्थी सब वापस भेल।