किक-बॉक्सिंग मे बिहारक खिलाड़ी के स्वर्णिम शुरुआत

    0
    264

    पटना, मिथिला मिरर: बिहार के प्रतिभावान खिलाड़ी एकबेर फेर बिहार के खुश हेबाक अवसर देलक अछि। बिहारक राजधानी पटना मे चलि रहल राष्ट्रीय किक बॉक्सिंग चैंपियनशिप मे शुक्रदिन मेजबान बिहार दू गोट स्वर्ण जीतकय अप्पन स्वर्ण पदक के सफर शुरु केलक अछि।

    किक बॉक्सिंग फेडरेशन ऑफ इंडिया के तत्वाधान मे राजधानी पटना के पाटलिपुत्र स्पोर्ट्स कॉम्प्लेक्स के इंडोर हॉल मे चलि रहल चैंपियनशिप मे पल्लवी राज आ रोहित कुमार मेजबान बिहार के स्वर्ण पदक दियौलनि।