मैथिल सपूत संजीव पूनम मिश्र’क ‘ये दिल साला सनकी’ सं बॉलीवुड मे एंट्री

    0
    269

    दिल्ली, मिथिला मिरर: बिहार के दरभंगा’क एकटा छोट सन गाम रमौली के रहयवला संजीव पूनम मिश्र जहन मायानगरी मुंबई मे अप्पना आप के स्थापित करबाक सोचलनि त बहुतो लोक हुनका पर ठहाका लगा कय हंसय लगलनि। मुदा ओहि समय हुनका नहि बुझल छलनि जे, एकदिन संजीव पूनम अप्पन लगन आ मेहनत के बदौलत बॉलीवुड मे अपना आप के स्थापित कय लेताह।

    23 सितंबर क रिलीज होबयवला फिल्म ‘ये दिल साला सनकी’ मे संजीव पूनम के अलावा ललितेश झा सेहो अहम किरदार मे आबि रहल छथि। फिल्म मे संजीव पूनम आ ललितेश झा के अलावा जिम्मी शेरगिल, शक्ति कपूर, रिषिता भट्ट, योगेश कुमार आ मदालसा शर्मा लीड रोल मे छथि। फिल्मक निर्देशक मनोज अग्रवाल छथि।

    संजीव पूनम मिश्र अहि फिल्म सं पहिने मैथिलीक सीरियल नैन ने तिरपित भेल, दियर भौज आ प्रवेश मल्लिक-विकास झा’क एलबम नम्बरी लुच्चा सहित बहुत रास मैथिली एलबम मे काज केने छथि।मैथिली के अलावा संजीव पूनम हिन्दीक बहुत रास सीरियल, भोजपुरी फिल्म आ थिएटर मे सेहो अप्पन अभिनय के लोहा मनबा चुकल छथि।

    सूत्रक अनुसार ई फिल्म लव स्टोरी अछि, मुदा फिल्म मे मनोरंजन के सब मसाला मौजूद अछि। जाहि सं दर्शक के भरपूर एंटरटेनमेंट भय सकैत अछि।