दरभंगा स्टेशन पर 60 बोतल विदेशी शराबक संग एकटा आरोपी गिरफ्तार

    0
    526

    दरभंगा जीआरपी थाना प्रभारी सुमन प्रसाद कहलनि जे, गुप्त सुचना भेटल छल जे, दू टा व्यक्ति स्वतंत्रता सेनानी सुपर फास्ट ट्रेन स विदेशी शराब ल कय उतरलाह। जेकरा बाद राजकीय रेल पुलिस दरभंगा जंक्शन पर सघन तलाशी शुरू केलक।
    अहि दौरान एकटा व्यक्तिक संग स तीन टा ट्राली बैग जब्त कायल गेल। जाहि स 750 एमएल. के 60 टा विदेशी शराबक बोतल बरामद कायल गेल। जहन कि एकटा आरोपी के पुलिस गिरफ्तार केलक तथा दोसर आरोपी भगबा मे सफल रहल। फरार आरोपीक गिरफ्तारीक लेल छापामारी शुरू कय देल गेल अछि।