एड्स दिवस पर दरभंगा मे नुक्कड़-नाटकक आयोजन

    0
    268

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: विश्व एड्स दिवस केर संध्या पर ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय के प्रांगण मे बृहस्पति दिन नुक्कड़-नाटकक आयोजन कायल गेल। कुलपति प्रो.साकेत कुशवाहा अहि नाटकक उद्घाटन केलनि। राष्ट्रीय सेवा योजना आ संगीत विभागक दिस सं अहि कार्यक्रमक आयोजन कायल गेल छल।

    नुक्कड़-नाटकक माध्यम स एड्स के प्रति लोक के सावधान करबाक प्रयास कायल गेल छल। अहि अवसर पर एनएसएस के संयोजक रविन्द्र चौरसिया, संगीत विभागध्यक्ष डा. पुष्पम नारायण के अलावा पैघ संख्या मे अधिकारीगण तथा छात्र लोकनि मौजूद छलाह।