सिलेंडर फटला सं लागल आगि मे माँ-बेटाक मौत

    0
    380

    मधुबनी, मिथिला मिरर: मधुबनी के लौकही थाना क्षेत्रक दक्षिणी पंचायत के मैनहा टोल मे बृहस्पति दिन राति मे आगि लगला सं मां-बेटा के मौत भय गेल तथा एकटा अन्य व्यक्ति झुलसि गेल।

    जानकारी के अनुसार मैनहा टोल स्थित एकटा घर मे बृहस्पति दिन देर राति रसोई गैसक सिलेंडर अचानक विस्फोट कय गेल, जाहि सं आगि लागि गेल। अहि दुर्घटना मे रेखा देवी (30) आ हुनक पुत्र देव कुमार (04) के मौका पर मौत भय गेल।