उम्रक हिसाब सँ तय होयत मतदानक समय, पहिने बुजुर्ग केँ देल जायत मौका

0
639

पटना/दिल्ली : कोरोना काल मे होमय जा रहल चुनाव मे चुनाव आयोग कोनो तरहक कोताही नहि चाहैत अछि। एहन मे एहिबेर बिहार मे होमय वला चुनाव मे किछु बदलाव देखबाक भेटत। चुनाव आयोग केँ मुताबिक एहिबेर उम्रक हिसाब सँ मतदान करेबा पर विचार कएल गेल अछि। पहिने बुजुर्ग तखन महिला आ अंत मे युवा लोकनि केँ मौका देल जायत। चुनाव आयोग बिहारक हरेक जिलाधिकारी लोकनि केँ एहि तरहक व्यवस्था लागू करबाक निर्देश जारी कएलक अछि। जारी निर्देश केँ मुताबिक ज’ कोनो मतदाता तय समय केँ बाद अबैत छथि, तैयो हुनका मतदान करबा सँ वंचित नहि कएल जायत। मतदानक समय कोरोना गाइडलाइन केँ पालन करेबाक जिम्मेदारी जिला प्रशासन केँ रहत।

चुनाव आयोग के मानब छनि जे कोरोना काल मे होमय वला चुनाव मे मतदान करायब एकटा पैघ चुनौती अछि। एहि लेल एक-एक बिंदु पर विचार कएल जा रहल अछि। सभसँ पैघ चुनौती अछि एक संगे बहुत बेसी लोक मतदान केंद्र पर नै पहुँच जायथ। अचानक भीड़ बढ़ला सँ उत्त्पन स्थिति सँ निपटबाक लेल आयु केँ हिसाब सँ मतदान करायब बहुत हद तक ठीक रहत। संभवतः वरिष्ठ मतदाता लोकनि केँ भोरक समय देल गेल अछि। ओतहि युवा केँ दुपहरिया मे मतदान करबाक समय भेटत। महिला लोकनि केँ दुपहरिया बाद समय देल जायत।

 जनतब दी जे उम्रक हिसाब सँ मतदानक समय तय भेलाक बाद हरेक क्षेत्र मे जागरूकता अभियान चला लोक सभके जागरूक कएल जायत। जाहि लेल पंचायत सँ बूथ स्तर धरि टीम बनाओल जायत आ ओ सभ घरे-घरे जा लोक सभके जानकारी देताह। निर्वाचन पदाधिकारी लोकनि केँ एहि लेल युद्ध स्तर पर अभियान चलेबाक लेल कहल गेल अछि।