‘अबकी बार नैया पार’ संदेशक संग वीआईपीक चुनावी रथ रवाना, हरेक विधानसभा क्षेत्र मे करत प्रचार-प्रसार

0
492

पटना, मिथिला मिरर : बिहार मे भले चुनाव आयोग चुनावी तारीख केँ ऐलान अखनि धरि नहि कएलक अछि। मुदा राजनीतिक दल चुनाव प्रचार मे जुटी चुकल अछि। महागठबंधन मे भले सीटक बँटवारा लेल माथापच्ची कएल जा रहल अछि। लेकिन हरेक घटक दल चुनावी मैदान मे ताल ठोकैत नजरि आबि रहल अछि। ओहि क्रम मे विकासशील इंसान पार्टी यानि वीआईपी सेहो आब चुनावी मैदान मे उतरि गेल। ‘अबकी बार नैया पार’ केँ संदेश संग वीआईपी मिशन 2020 चुनावी रथ केँ पार्टीक अध्यक्ष मुकेश सहनी हरी झंडी देखा रवाना कएलनि। 243 चुनावी रथ केँ रवाना कएल गेल। जे हरेक विधानसभा क्षेत्र मे प्रचार प्रसार करत।

एहि अवसर पर पार्टीक मुखिया मुकेश सहनी कहलनि जे नाव हमर चुनाव चिन्ह अछि। एहि लेल रथ केँ आकार नाव सन बनाओल गेल अछि। ई रथ बिहारक हरेक विधानसभा क्षेत्र मे जायत। प्रखंड सँ पंचायत धरि प्रभारी नियुक्त छथि जे एहि रथ के देख-रेख करताह। ई रथ महागठबंधन केँ सरकार बनेबा लेल सभ 243 विधानसभा क्षेत्र मे प्रचार-प्रसार करत। जन-जन तक पार्टीक नीति, सिद्धांत आ उद्देश्य केँ पहुँचाओल जायत। अपन चुनाव चिन्ह नाव केँ तुलना करैत कहलाह जे  जाहि तरहें भगवान रामचंद्र केँ हमर पूर्वज नदी पार करोलनि तहिना महागठबंधन केँ नैया पार हेतैक। पार्टी महागठबंधनक प्रमुख हिस्सा अछि आ चुनावी मैदान मे संग रहत। जहाँ तक टिकट बँटवारा केँ सवाल अछि बातचीत जारी अछि। उचित समय पर फैसला भ’ जायत। जतेक सीट भेटत सभ पर पार्टी पूरा मजबूती सँ चुनाव लड़त आ जीत दर्ज करत। बिहार मे अगिला सरकार महागठबंधन केँ बनय जा रहल अछि आ ओही सरकार मे वीआईपी सेहो भागीदार रहत।