चुनावक ऐलान पर लालूक ट्वीट, कहलनि- “उठो बिहारी करो तैयारी, जनता का शासन अबकी बारी”

0
971

पटना, मिथिला मिरर : बिहार मे आधिकारिक चुनावी बिगुल बजिते राजनीतिक बयानबाजी शुरू भ’ चुकल अछि। सभ राजनीतिक दल मे हलचल तेज भ’ गेल। चुनावी घमासानक बीच आब जुबानी जंग सेहो तेज भ’ जायत। चुनावी तारीख केँ ऐलान होइते राजद अध्यक्ष लालू यादव ट्वीट क’ बिहारक जनता सँ आह्वान कएलनि अछि। एकरा नव नाराक संग लिखलनि अछि जे -“उठो बिहारी करो तैयारी, जनता का शासन अबकी बारी”। एतबे नहि दोसर ट्वीट मे लिखल गेल अछि जे – बिहार में बदलाव होगा, अफसर राज खत्म होगा, अब जनता का राज होगा। मतलब साफ अछि। वर्तमान नीतीश सरकार पर सीधा निशाना साधल गेल अछि। मालूम होयत जे लालू यादव सजायाप्ता छथि आ रांचीक केंद्रीय कारागार मे बंद छथि।

बिहार मे केकर सरकार बनत ई त’ 10 नवंबर क’ पता चलत। मुदा हरेक पार्टी अपन सरकार बनेबाक दावा ठोकी रहल अछि। जनता जनार्दन किनका आशिर्वादित करैत छथि ओ त’ आबय वला समय तय करत। फिलहाल राजनीतिक पारा चढ़ल जा रहल अछि। बतादी जे ई पहिल चुनाव होयत जाहि मे लालू यादव बिहार मे नहि रहताह। हुनका अनुपस्थिति मे तेजस्वी कमान सम्हारी रहल छथि। आब देखबाक बात होयत जे लालू यादव एहि चुनाव मे चुनावी कमान जेल सँ रखैत छथि वा तेजस्वी केँ खुला हाथ छोड़ी दैत छथि।