मिथिलाक बेटीकेँ सम्मानित कएलनि प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी

0
1252

पू.चंपारण, मिथिला मिरर : मिथिला सदिखन प्रतिभाकेँ धनिक रहल अछि। चाहे कोनो क्षेत्र होई सभमे अपन उपस्थिति दर्ज करबैत रहैत छथि। एकटा समय छल जखन बेटा-बेटीमे भेद कएल जाइत छल। मुदा बदलैत समयकेँ संग ई बहुत कम भेल अछि। आब बेटी, बेटासँ कनियो कम नै। हुनक पंख आब सेहो नव नव उड़ान भरी रहल अछि। आब मैथिलानी रक्षा, उड्डयन, प्रसाशन सन क्षेत्रमे सेहो नाम क’ रहलीह अछि। एहि क्रममे एकटा नव प्रतिभा सामने आयल अछि। पूर्वी चंपारण जिलाक एकटा बेटी राष्ट्रीय फलक पर अपन सफलताक परचम लहरेलनि अछि। हुनका एनसीसीक जूनियर विंगमे राष्ट्रीय स्तर पर उत्कृष्ट प्रदर्शनकेँ लेल प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी आर्मी प्ले ग्राउंड दिल्ली कैंटमे मेडलसँ सम्मानित कएलनि अछि। मिथिलाक एहि बेटीकेँ जखन पीएम नरेंद्र मोदी मेडल पहिरा सम्मानित केलनि तखन मिथिला सहित पूरा बिहार झूमी उठल। बतादी जे संगिनी पूर्वी चंपारण जिलाक कनछेदवा पंचायतक पूर्व मुखिया स्व. बहादुर सिंहक पोती आ सेनामे कर्नल देवदत्तक पुत्री छथि। संगिनी वर्तमानमे तमिलनाडुक ऊटी स्थित लव डॉल्स बोर्डिंग स्कूलमे नौवीं कक्षाक छात्रा छथि।

सैन्य अधिकारी बनबाक छनि लक्ष्य

सैन्य अधिकारी बनि देशक सेवा करब संगिनीक लक्ष्य छनि। हुनका परिवारमे एहि तरहक परंपरा रहल अछि। नाना मुंगेरसँ डीआइजी पदसँ सेवानिवृत्त भेलाह। पिता देवदत्त कोलकातामे आर्मीमे सेवारत छथि। माँ सोनी आर्मी पब्लिक स्कूल कोलकातामे शिक्षिका छथि। संगिनीक चाचा देवेश कुमार सिंह उर्फ मुन्नू सिंह आरबीएल बैंकमे डिप्टी प्रेजिडेंट पद पर सेवा द’ चुकल छथि। एकटा शिक्षित परिवारमे जन्म लेनिहारि संगिनी अपन मजगूत इरादासँ एहि दिशामे आगू बढ़ी रहल छथि। संगिनीक सफलतासँ जिला भरीमे खुशीक लहर दौड़ गेल। हुनक परिजन बतेलनि जे दिल्लीमे एकसँ 26 जनवरी धरि चलल एनसीसीक जूनियर विंगकेँ विशेष प्रशिक्षण एवं प्रतियोगिताकेँ बाद उत्कृष्ट प्रदर्शन लेल ई सम्मान भेटलनि अछि। हुनक सफलता पर केंद्रीय कृषि एवं किसान कल्याण मंत्री राधामोहन सिंह, नाना सेवानिवृत्त डीआइजी सिद्धेश्वर प्रसाद शुक्ला, भाजपा जिलाध्यक्ष राजेंद्र प्रसाद गुप्ता, उपाध्यक्ष देवेश कुमार सिंह, पूर्व विधायक महेश्वर सिंह, सहित अनेको गणमान्य लोकनि बधाई देलनि अछि।