नीति आयोगक बैसकमे एकबेर फेर विशेष राज्यक मांग केलनि नीतीश कुमार

    0
    258

    दिल्ली, मिथिला मिरर: नीति आयोगक बैसकमे बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार बिहार एकबेर फेर विशेष राज्‍यक दर्जा देबाक मांग उठेलनि। अहिकेँ संग ओ उग्रवाद प्रभावित जिलाक लेल सेहो विशेष पैकेज देबाक मांग केलनि।

    मुख्यमंत्री नीतीश कुमार रविदिन दिल्लीमे प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदीक अध्यक्षतामे भेल नीति आयोगक गवर्निंग काउंसिलक तेसर बैसकमे शामिल भेलाह। अहि मौका पर ओ कहलनि बिहारक विशेष जरूरतकें देखैत हमरा संसाधन उपलब्ध कराओल जाएं।

    केंद्र प्रायोजित योजनाक तहत अनुमोदित केंद्रांश नहि भेटबाक मामला सेहो काफी विस्तार सं उठेलनि। ओ कहलनि जे, बदलैत आर्थिक एवं सामाजिक परिवेशमे देशक विकासक लेल समावेशी सोच एवं दृष्टि आवश्यक अछि। मुख्यमंत्री नीति आयोगक बैसकमे बिहारकें विशेष राज्यक दर्जा देबाक मामला पुन: उठेलनि।

    मुख्यमंत्री कहलनि जे, 14’म वित्त आयोगक अनुशंसाक आधार पर राशि वितरणकें जे क्षैतिज मानक अछि, ओहिमे बिहारक नुकसान भए रहल अछि। ई कहल जा रहल अछि जे, सब राज्यक संयुक्त हिस्सेदारी 32 प्रतिशत सं बढ़ाकए 42 प्रतिशत कएल गेल मुदा बिहारक केंद्रीय कर सं भेटय वला राशिमे मात्र पांच प्रतिशतकें बढ़ोतरी भेल अछि। ओ कहलनि जे, 14 म वित्त आयोगक अनुशंसाकें अहि अत्यंत असमान प्रभावकें ध्यानमे रखबाक आवश्यक अछि।