अगिलग्गीमे खाक भेल शॉपिंग मॉल, करोड़ो’क नुकसान

    0
    322

    पटना, मिथिला मिरर: बिहारक नवादा स्थित शॉपिंग मॉल ‘एमके सेल्स मॉलमे’ रविदिन भोरे भयानक आगि लागि गेल। अगिलग्गीमे करोड़ोकें नुकसानक अनुमान लगाओल जा रहल अछि। घटनाक कारणक एखन धरि पता नहि चलि सकल अछि, हालांकि प्रथमदृष्‍टया घटना शॉर्ट सर्किट सं लागल बुझना जा रहल अछि।

    जानकारीक अनुसार नवादाके प्रजातंत्र चौकक समीप स्थित कपड़ा मॉलमे भोरमे करीब तीन बजे आगि लागल। स्‍थानीय लोकक सूचना पर फायर ब्रिगेडक तीन टा गाडी पहुंचल। घंटो मशक्‍कतके बाद आगि पर काबू पाओल गेल, मुदा ता धरि मॉल खाक भए चुकल छल।

    अहि बीच सुरक्षाक मद्देनजर अासपासक घरकें खाली करा देल गेल। घरमे राखल गैस सिलेंडर बाहर निकालि देल गेल, जाहि सं कोनो दुर्घटना नहि हो।