एमसीडी चुनावमे दू गोट रैली करताह नीतीश कुमार

    0
    267

    दिल्ली, मिथिला मिरर: एमसीडी चुनावकें मद्देनजर बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सेहो दू टा पैघ रैली करबाक लेल दिल्ली एताह। हुनकर पार्टी जदयू दिल्ली नगर निगमकें कुल 272 सीट पर चुनाव लड़बाक घोषणा पहिनहि कए देने अछि। चुनावक कमान पार्टीक राष्ट्रीय महासचिल संजय झाकें देल गेल अछि।

    संजय झाकेँ अनुसार, नीतीश कुमारक दू टा पैघ रैली’क योजना बनाओल गेल अछि। ओ कहलनि जे, नीतीश कुमारकेँ अलावा बिहारक जदयू कोटाक सांसद आ विधायक सेहो सेहो दिल्ली निगम चुनावक लेल प्रचार करबाक लेल एताह।

    ज्ञात हो कि एहिबेर नीतीश कुमार पूर्वांचलक मतदाताकें लुभेबाक लेल निगम चुनावमे सब सीट पर चुनाव लड़बाक फैसला लेलनि अछि। दिल्लीमे कुल मतदाता 1.23 करोड़ अछि, जाहिमे 30-32 लाख मतदाता बिहार आ उत्तर प्रदेश सं अबैत अछि।