‘ईवीएम’ हटेबाक लेल जुलूस निकालल गेल

    0
    240

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: मुजफ्फरपुरमे भारत मुक्ति मोर्चा शुक्रदिन ‘ईवीएम हटाओ लोकतंत्र बचाओ, बैलेट पेपर लाओ’ अभियानक तहत जुलूस निकालि कई प्रदर्शन केलक। शहीद खुदीराम बोस स्मारक सं निकलल जुलुस सरैयागंज टावर, जवाहरलाल रोड, मोतीझील व सदर अस्पताल रोड होईत समाहरणालय पहुंचकय सभामे बदलि गेल।

    एकर नेतृत्व मोर्चा जिलाध्यक्ष मनोज दास कए रहल छलाह। अहिमे आशुतोष, वसंत, आनंद, नरेश सहनी, उमाशंकर सहनी, लड्डू सहनी, ललन सहनी, अधिवक्ता संजय कुमार सहनी, बैद्यनाथ कामत, जयनाथ राम, जयप्रकाश, समता प्रकाश भारती, नंदकिशोर सहनी सहित दर्जनो लोक शामिल छल।