मैट्रिक आ इंटरक परीक्षा मे ऑब्जेक्टिब प्रश्न पर बिहार बोर्डक पैघ निर्णय

    0
    298

    पटना, मिथिला मिरर: अहि साल 2017 मे होबय वला मैट्रिक आ इंटरक परीक्षा के प्रश्नपत्र के पैटर्न मे बादलाव भय रहल अछि। सूत्रक अनुसार बिहार विद्यालय परीक्षा समिति द्वारा आयोजित परीक्षा मे आब्जेक्टिव प्रश्नक संख्या अधिक रहत।

    नव वर्ष सं शिक्षा व्यवस्था मे परिवर्तन करबाक पूरा तैयारी भय रहल अछि। ई परीक्षा पैटर्न के नवंबर मे होबय वला बैसक मे अंतिम रूप देल जायत। सब स्कूल मे एकहिं दिन परीक्षा लेल जायत आ प्रश्नपत्र बिहार विद्यालय परीक्षा समिति द्वारा तैयार कायल जायत। अहि बेर भेल परीक्षा मे गड़बड़ी के लय क आब कोड उत्तर पुस्तिका देबा पर विचार भय रहल अछि। चर्चा अछि जे, 2017 के परीक्षा सं बार कोड वला उत्तर पुस्तिका सेहो परीक्षार्थी के देबाक तैयारी बोर्ड कय रहल अछि।

    सीवान के जिला शिक्षा पदाधिकारी विश्वनाथ प्रसाद विश्वकर्मा के अनुसार नव पैटर्न मे पासिंग मार्क्स की होयत अहि पर एखन चर्चा नहि भेल अछि। संगहि ओ कहलनि जे, नव पैटर्न अहि बेर हर हाल मे लागू होयत।

    जानकारी के अनुसार 100 अंकक प्रश्नपत्र मे 35 नंबर वैकल्पिक विषय रखबाक सहमति बनि गेल अछि। बस बोर्डक अंतिम मोहर लागब बांकी अछि।