समस्तीपुर मे ट्रेन सं गांजा लाबि रहल दू गोट तस्कर गिरफ्तार

    0
    354

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: बिहार मे पूर्व मध्य रेलवे के समस्तीपुर स्टेशन सं बृहस्पति दिन पुलिस एकटा महिला समेत दू गोट तस्कर के गांजाक संग गिरफ्तार केलक अछि। रेल पुलिस सूत्रक अनुसार सूचनाक आधार पर अमरनाथ एक्सप्रेस ट्रेन स 15 किलो गांजाक संग एकटा महिला समेत दू गोट तस्कर गिरफ्तार कायल गेल अछि। गिरफ्तार तस्कर मे जिला के वारिसनगर थाना क्षेत्रक रायपुर गोही निवासी रजिना खातून आ मो0 तुल्फेन शामिल अछि।

    गिरफ्तारी के बाद पुलिस पर प्राथमिकी दर्ज कय पूछताछ कय रहल अछि।