प्रगति मैदानमे मिथिलालोक फाउंडेशन आ क्राफ्ट म्युजियमक संयुक्त प्रेस कान्फ्रेंस आइ

    0
    300

    दिल्ली-मिथिला मिररः दिल्लीक प्रगति मैदानमे चलि रहल व्यापार मेला अर्थात ट्रेड फे़यरमे अहि बेर मिथिलाक पाग आकर्षणक केन्द्र बिन्दु बनल अछि। मिथिलालोकक सतरंगा पाग नहि सिर्फ देशी अपितु विदेशी मेहमान लोकनिक बीच अति लोकप्रिय बनल अछि। इ पहिल बेर छी जे व्यापार मेलामे मैथिल पागकें प्रदर्शनी लगाओल गेल आ ओकरा बहुत बेसी जनसमर्थन सेहो भेट रहलैक अछि।
    अहि विषयकें ध्यानमे राखि मिथिलालोक फाउंडेशन आ क्राफ़्ट म्युज़ियम (कपड़ा मंत्रालय भारत सरकार) शुक्रदिन दोपहर 12ः30 बजे एकटा संयुक्त संवाददाता सम्मेलन करए जा रहल अछि। अहि संवाददाता सम्मेलनक मूल उदे्श्य इ अछि जे मिथिलाक प्राचीनमे पागक परंपरा अछि ओकरा सांस्कृतिक आ धार्मिक रूपसं दुनियां सोझा राखब। पाग प्राचीन काल सं मिथिलाक धरोहरक रूपमे जानल जाइत अछि।
    मिथिलालोक फाउंडेशन मिथिलाक जे परंपरागत पाग छल ओकरा आकार आ बनावटमे समुचित बदलाव केलक अछि आ इ बदलाव आम जनताक बीच बहुत बेसी लोकप्रिय भेल जा रहल अछि। मिथिलालोक फाउंडेशनक संस्थापक डाॅ. बीरबल झा कहला जे व्यापार मेलामे अहि बेर उजरा आ नील रंगक पाग विदेशी पर्यटकक बीच बहुत बेसी लोकप्रिय भए रहल अछि, एतबे नहि व्यापार मेलामे जाहि तरहें पाग अपन उपस्थिति देखा रहल अछि ओ निश्चित रूपहि मैथिली हस्तकर्घाक लेल एकटा पैघ बाजारक द्वारा खोलवाक साफ संकेत बुझना जा रहल अछि।