मुजफ्फरपुर मे डकैतक उत्पात, दू गोट घर सं लाखो’क संपत्ति लूटलक

    0
    274

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: मुजफ्फरपुर जिलाक सरैया थाना क्षेत्र मे बुधदिन राति डकैत दू टा घर सं लाखो रुपैयाक संपत्ति लूटि लेलक। पुलिस सूत्रक अनुसार लक्ष्मी अरार गाम निवासी विश्वनाथ साह आ सुलेमान मियाक घर करीब 10-12 गोट हथियारबंद डकैत बारी-बारी सं प्रवेश कय गेल।

    डकैत दूनू घर सं नगद, जेवरात आ अन्य सामान लूटि लेलक। सूत्रक अनुसार शोरगुल भेला पर डकैत साह के भतीजा पंकज के लाठी स पीटाई कय देलक। अहि सिलसिला मे संबंधित थाना मे अज्ञात डकैतक खिलाफ मामला दर्ज कराओल गेल अछि। पुलिस डकैत के गिरफ्तारीक लेल छापेमारी कय रहल अछि।