‘रणजी’ मे आगि उगलि रहल अछि अहि बिहारी’क बल्ला

    0
    287

    दिल्ली, मिथिला मिरर-शिवेश झा: भारतीय अंडर 19 क्रिकेट टीमक कप्तान आ बिहारक होनहार क्रिकेटर ईशान किशन एखन जबर्दस्त फॉर्म मे चलि रहल छथि। रणजी मैचक मुकाबले मे ईशान झारखंड सं खेलाइत एक बेर फेर शानदार शतक लगौलनि अछि। मध्यक्रम के बल्लेबाज ईशांक जग्गी आ ईशान किशनक शतकीय पारीक मदद स झारखंड रणजी ट्रॉफी ग्रुप बी के मैच मे सौराष्ट्र के खिलाफ पहिल पारी मे 181 रनक महत्वपूर्ण बढ़त हासिल कय लेलक अछि।

    अगरतला मे खेलल जा रहल अहि मैच मे सौराष्ट्र पहिल पारी मे 277 रन बनने छल, जकर जवाब मे झारखंड ईशान किशन और ईशांक जग्गी के बेहतरीन शतकक मददि सं दोसर दिन खेल खत्म हेबा काल धरि सात विकेट पर 458 रन बना लेलक।

    ईशान किशन 136 रनक पारी मे 120 गेंदक सामना करैत 20 टा चौका आ चारि टा छक्का लगाउने छलाह। मौजूदा सत्र मे ईशांक जग्गी आ ईशान किशनक ई तेसर शतक अछि। ईशान किशन अहि सत्र मे कर्नाटक के खिलाफ 159 आ दिल्ली के खिलाफ 273 रनक रिकार्डतोड़ पारी खेलेने छलाह।