कार्तिक पूर्णिमाक अवसर पर गौसाघाट मेला मे देखल गेल नोटबंदीक असर

    0
    450

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: कार्तिक पूर्णिमाक अवसर पर सोमदिन गौसाघाट मेला मे भारत सरकार के नोटबन्दीक असर साफ़ देखल गेल। अहि साल एतय श्रद्धालुक संख्या मे पिछला बहुतो सालक अपेक्षा मे भारी कमी देखल गेल।

    अस्थायी दोकान मे 1000, 500 के नोट नहि नहि चलला सं मंदीक माहौल देखल गेल। ओना मेलाक भड़क लेल भारी संख्या मे पुलिस बल तैनात कायल गेल छल, जाहि मे दू दर्जन लाठी पुलिस बल दू दर्जन पुलिस पदाधिकारीक ड्यूटी लगाओल गेल छल।

    ओतहि यातायात व्यवस्थाक लय सदर थाना प्रभारी बीके यादव कहलनि जे, मेला मे श्रधदालु के कोनो तरहक समस्या नहि हो अहिक लेल अलग स ट्राफिक पुलिस के लगाओल गेल अछि। मेलाक चौकस व्यवस्था के लेल दंडाधिकारी के रूप मे कृषि पदाधिकारी विमलेश कुमार मिश्रा तैनात छलाह।