मारिपीटक विरोधमे टेम्पू चालक’क प्रदर्शन, सड़क जाम

    0
    471

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: दरभंगामे कहियो टैम्पू चालकक मनमानी त कहियो ट्रैफिक पुलिसक संग बदसलूकी सुर्खी बनल रहैत अछि। पिछला बहुतो बेर जेना अहि बेर सेहो बृहस्पति दिन एकटा घटना घटल। भोरमे 8:30 बजे ट्रैफिक पुलिस द्वारा टैम्पू चालक मो0 इस्लाम’क पिटाईके विरोधमे बाघमोड़ पालिटेक्निक चौराहा बेला मोड़ एवं कटहलबाड़ी चौकक युनियनकें चालक जाम कय प्रदर्शन केलक।

    सूत्रक अनुसार पुलिसवलाकें टैम्पू चालक 10 रुपैया नहि देलक जाहि कारने ओकर पिटाई कएल गेल। बहुत हो-हल्लाक कए 3 घंटाक बाद जाम हटाओल गेल। ओतहि दोसर दिस लोहिया चौक पर सेहो टैम्पू मजदूर संघक बैनर तर धरना प्रर्दशन कएल गेल।

    भरि दिन चर्चा रहल जे, टैम्पू चालकक मनमानी जे, कहियो ट्रैफिक पुलिसक बात नहि मानब, बीच सड़क पर टैम्पू रोकि कय यातायातक नियमकें पालन नहि करब इत्यादि यातायात नियम आ सुरक्षा व्यवस्थाकेँ प्रभावित करैत अछि।