त्रिवेणीगंज अनुमंडलक 25’म स्थापना दिवस मनेबाक तैयारी जोर पर

    0
    288

    सुपौल, मिथिला मिरर: अनुमंडल पदाधिकारीक कार्यालयमे शुक्रदिन एसडीओ राशीद कलीम अंसारीक अध्यक्षतामे अनुमंडल स्थापनाकें 25 म साल पर हर्षोल्लास आ धूमधाम सं स्थापना दिवस मनेबाक तैयारीक लेल पदाधिकारी, जनप्रतिनिधि आ प्रबुद्ध नागरीकके बीच एकटा बैसक आयोजित कएल गेल। जाहि बहुतो निर्णय लेल गेल।

    मौका पर एसडीओ कहलनि जे, स्थापनाक अवसर पर त्रिवेणीगंज अनुमंडलके गौरवशाली परम्परा आ इतिहासक संग अनेकतामे एकताक मिसाल क्षेत्रमे कृषि, कुटीर उद्योग, चटाई, मुंज आ बांस सं बनल हस्तशिल्प, लाह चुड़ी उद्योग, रेशम कीट पालन आदिक समृद्ध विरासतकें संकलन कए अहि अवसर पर स्मारिकाक विमोचन कएल जाएत।

    ओ कहलनि जे, अहिक लेल संचालन समितिक गठन कएल गेल अछि। एसडीओ कहलनि जे, स्थापना दिवसकें त्यौहार जेना मनाओल जाएत। अवसर पर 15 मई कए भोरमे विभिन्न विद्यालय आ संस्थानक द्वारा प्रभातफेरीक संग रंगा-रंग झाकी निकालल जाएत। सांस्कृतिक कार्यक्रमक संग विभिन्न प्रकारक स्टॉल आ प्रदर्शनी लगाओल जाएत।