सुपौलकें राधा कृष्ण ठाकुरवाड़ी परिसरमे 30 दिवसीय निःशुल्क योग शिविरक आयोजन

    0
    274

    सुपौल,मिथिला मिरर-एन. के. सुशीलः सुपौल जिलाक राधा कृष्ण ठाकुरवाड़ी परिसरमे केन्द्रीय योग एवं प्राकृतिक चिकित्सा अनुसंधान परिषद द्वारा प्रायोजित एवं एक्यूप्रेसर योग आ प्राकृतिक चिकित्सा परिषद दरभंगा द्वारा आयोजित 30 दिवसीय निःशुल्क योग शिविरकमे भारी संख्यामे स्थानीय लोकक जुटानी भए रहल अछि। लोकसब भोर आ सांझ दुनू सत्रमे जा योग करैत छथि आ योगक विषयमे विभिन्न तरहक जानकारी सेहो लए रहला अछि।
    योगक प्रति स्थानय जनताक जे रूझान अछि ओ ओतेक बेसी अछि कि भोरूपहर कें सत्रकें दू भागमे बाटय पड़ल। योगक प्रारंभिक शिक्षाक क्रममे प्रशिक्षिका रम्भा सिन्हा शिविरमे आएल योग सिखनिहार व्यक्तिकें सामान्य आसन करौलनि जाहिकें नियमित अभ्यास सं पेटक बीमारी?, डाढ़, ठेहुनक दर्जक संग-संग कंठ दर्द आ पेट निकलवाक बीमारीमे लाभ भेटवाक बात कहल गेल अछि।
    योग प्रशिक्षक शम्भू मंडल कहला जे नित्य योगक सेवन सं आदमीक जीवनमे एकटा नवस्फूर्ति बनल रहैत अछि आ व्यक्ति अपन जीवनशैलीकें संतुलित राखि सकैत अछि। जौं व्यक्ति ब्रह्म मुहूर्तमे योग करए त अपन जीवनकें दीर्घकाल तक स्वस्थ्य राखि सकैत अछि। योग शिविरक शुभारंभमे मुख्य अतिथिक रूपमे संतोष अग्रवाल पहुंचल रहैथ त योग शिविरकें सफल बनेवामे मीडिया प्रभारी नलीन कुमार जयसवाल, अशोक चौधरी, ललन कुमार सिंह आदि अपन योगदान दए रहला अछि।