भाजपाक प्रदर्शनमे अश्विनी चौबे आ प्रेम कुमार लेताह भाग

    0
    285

    दरभंगा, मिथिला मिरर: महिनाम गामक धीरे टोल स्थित अमित कुमार झा पप्पूकें आवसीय प्रांगणमे प्रखंड अध्यक्ष राधेश्याम झा, संतोष झा एवं नगर अध्यक्ष शंकर भगवान पूर्वेक संयुक्त अध्यक्षतामे भाजपा कार्यकर्ताक बैसक भेल। जाहिमे हावीभौआर कांडमे फंसाओल गेल निर्दोष लोकक रिहाई करबाक तथा घटनाक उच्चस्तरीय जांच करबाक मांगकें लए 4 मई कए बेनीपुरमे विशाल प्रदर्शनक आयोजन करबाक निर्णय लेल गेल।

    पार्टीक प्रदेश उपाध्यक्ष सह पूर्व विधायक गोपालजी ठाकुर कहलनि जे, 4 मई कए हावीभौआर कांडकें लए भाजपा द्वारा बेनीपुरमे कएल जाए वला प्रदर्शनमे विधान सभामे विरोधी दलक नेता प्रेम कुमार एवं पूर्व मंत्री सह वर्तमान सांसद अश्विनी कुमार चौबे सहित प्रदेश एवं जिलास्तरीय बहुतो नेता भाग लेताह।

    भाजपा कार्यकर्ता बहेड़ा हाईस्कूल मैदान सं प्रदर्शन करैत अनुमंडल कार्यालय पर पहुंचत आ फेर ओतए सभाक आयोजन करत। बैसकमे भाजपा जिला कार्य समितिक पूर्व सदस्य सोनू ठाकुर, राजीव कुमार झा, कैलाश झा, ललित झा, अमित कुमार झा, संजीब कुमार झा, ललन कुमार झा, रितेश चौधरी, नवीन कुमार झा, राजू साह, अरूण झा, भगवान पाठक, सुनीति रंजन सहित दर्जनो नेता एवं कार्यकर्ता अपन-अपन विचार व्यक्त केलनि।