‘दहेज़ मुक्त भारतकें’ प्रयास सं फेर संपन्न भेल आदर्श बियाह

    0
    294
    मिथिला मिरर-निशांत झा: ‘दहेज़ मुक्त भारत’ तत्परता सं लोककेँ बिनू दहेज़ बियाह करबाक लेल युवक लोकनिकें प्रेरित करबाक काज करैत रहल अछि। संस्था अहि क्षेत्रमे एखन धरि बहुत रास युवक-युवतीकें दहेजक बिना बियाह करेबामे सफल सेहो रहल अछि। अहि क्रममे संस्थाक महाराष्ट्र प्रदेश अध्यक्ष अंगद चौधरीक अथक प्रयास आ बीडीएमके अभियानी लोकैनक सहयोग सं अंगद चौधरी फेर एकटा दहेज मुक्त बियाह करेबामे सफल रहलाह।

    पोखराम निवासी, राम मिलन चौधरीक पुत्री मोनिका चौधरीक बियाह रामनगर सुपौल निवासी स्व० रामप्रकाश मिश्रक पुत्र कुमोद रंजन मिश्रक संग 28 अप्रैल कए बेलामे संपन्न कराओल गेल। अहि बियाहक बाद मोनिका चौधरी आ कुमोद रंजन मिश्रकें संस्था आशीर्वाद दए सुखद वैवाहिक जीवनक शुभकामना देलक।