कोहरा’क कारण अलग-अलग सड़क हादसा मे तीन गोटेक मौत

    0
    245

    पटना, मिथिला मिरर: शनिदिन बिहार मे कोहराक कारण सड़क दुर्घटना मे तीन गोटेक के अप्पन जान गंवाबय पड़ल। दू टा अलग-अलग घटना पटना स सटल पालीगंज आ सासाराम के अछि। शनिदिन भोर मे सासाराम मे एकटा तेज रफ्तार ट्रक दू गोट युवक के कुचलि देलक, जाहि सं घटना स्थले पर एकटा युवकक मौत भय गेल, जहन कि एक गोते गंभीर रूप स जख्मी भय गेल। घटनाक कारण घना कोहरा बताओल जा रहल अछि।

    दुर्घटना के कारण सासाराम मे किछु देर धरि यातायात बाधित रहल। दोसर घटना पटना के पालीगंज इलाका के कुरकुरी पुलक समीप के अछि, जतय भोर मे तेज रफ्तार ट्रकक टक्कर स मॉर्निंग वॉक पर गेल एकटा बुजुर्गक मौत भय गेल।

    मृतकक पहिचान कुरकुरी निवासी सिद्धनाथ वर्मा के रुप मे भेल अछि। घटना के बाद मौका पर पहुंचल पुलिस लहास के पोस्टमार्टम के लेल पालीगंज अनुमंडलीय अस्पताल पठा देलक अछि।