मध्याह्न भोजन मे गिरगिट सं 45 टा बच्चा बीमार

    0
    251

    खगड़िया, मिथिला मिरर: खगड़िया जिलाक बेलदौर प्रखंड स्थित मध्य विधालय बेला नवाद मे बुधदिन मध्याह्न भोजन खेबाक कारने 45 सं अधिक बच्चा बीमार पड़ि गेल, जाहि मे  पांच टा बच्चाक हालत गंभीर बताओल जा रहल अछि। सब बच्चा के इलाजक लेल बेलदौरक पीएचसी मे भर्ती कराओल गेल। घटना के सूचना भेटलाक तुरंत बाद बेलदौर के बीईओ, बीडीओ आ थाना प्रभारी मौका पर पहुचल छथि। पांच बच्चों की हालत गंभीर बताई जा रही है.

    घटना के संबध मे स्कूलक प्रिंसिपल सुभाष कुमार बतेलनि जे, खाना मे गिरगिट कोना खसल से त नहि पता। मुदा भोजनक बादे बच्चा बीमार पड़य लागल जकरा बच्चा के अस्पताल मे भर्ती कराओल गेल।

    बेलदौर प्रखंड शिक्षा पदाधिकारी शंकर शाह कहलनि जे, अस्पताल पहुँचि कय हम बच्चा सब सं बात-चीत केलहु, मामलाक छानबीन कायल जा रहल अछि जे आखिर भोजन मे गिरगिट कोना खसल जाहि सं बच्चा बीमार पड़ि गेल। फिलहाल सब बच्चाक इलाज चलि रहल अछि। बीडीओ, थाना प्रभारी आ बीईओ सब अस्पातल मे कैंप केने छथि।