साकेत कुशवाहा कहलनि देश मे छात्र संगठनक जरुरत नहि अछि

    0
    276

    मधुबनी, मिथिला मिरर: ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय के कुलपति डॉ साकेत कुशवाहा द्वारा छात्र संगठन के सन्दर्भ मे मधुबनी मे देल गेल बयानक लेल छात्र संगठन मे आक्रोश देखल जा रहल अछि। कुलपति कुशवाहा मधुबनी के जेएन कॉलेज मे आयोजित सम्मान समारोह के संबोधित करैत कहलनि जे, छात्र संगठन कॉलेज एवं विश्वविद्यालय के राजनीतिक अड्डा बना लेने अछि। देश मे छात्र संघ या संगठनक जरुरत नहि छैक। जाहि के बाद कुलपति के अहि बयान पर विभिन्न छात्र संगठन प्रतिक्रिया देलक अछि।

    ऑल इंडिया स्टूडेंट फेडरेशनक मधुबनी इकाई बृहस्पतिदिन मधुबनीक विद्यापति टावर के समीप कुलपति साकेत कुशवाहाक पुतला दहन करैत कुलपति स बयान वापस लेबाक मांग। केलक ओतहि छात्र संगठन आईसा सेहो कुलपति के बयान पर आलोचना करैत कहलक जे, कुलपतिक बयान लोकतंत्र के लेल घातक अछि।

    संगहि शुक्रदिन मिथिला स्टूडेंट यूनियन सेहो कुलपतिक बयानक खिलाफ दरभंगा के नाका नंबर पांच के समीप कुलपति के पुतला दहन करबाक घोषणा केलक।