दू टा अलग-अलग दुर्घटना, बाल-बाल बचलाह अंधराठाढ़ी’क प्रखंड प्रमुख

    0
    283

    मधुबनी, मिथिला मिरर: झंझारपुर थाना क्षेत्रक चनौरागंज मे एन एच 57 पर मुर्गी सं लादल एकटा  पिकअप बृहस्पति दिन दुर्घटनाग्रस्त गेल। पिकअप मे लादल बहुतो मुर्गि सड़क पर छितर-वितर भय गेल। हालांकि पिकअप के ड्राइवर तथा ओहि मे सवार अन्य दू गोटे बाल बाल बचि गेलाह। सूत्रक अनुसार मुर्गी लय क पिकअप फारबिसगंज स सकरी जा रहल छल।

    एम्हर सड़क हादसाकक एकटा अन्य घटना मे अंधराठाढीक प्रखण्ड प्रमुख सुदेश्वर यादव बाल बाल बचि गेलाह। बताओल जा रहल अछि जे, प्रमुख यादव स्कार्पियो सं मधुबनी स घर भदुआर जा रहल छलाह। ओतहि कमला पुलक निकट एन एच 57 पर एकटा मवेशी के बचेबाक क्रम स्कार्पियों अनियंत्रित भय गेल आ पलटी मारि देलक। हालांकि प्रमुख आ ड्राइवर दिनेश यादव सुरक्षित बताओल जा रहल अछि।