एनडीएक ‘दही-चुडा’ भोजमे जुटलाह सियासी दिग्गज, ओतहि सुन्न पड़ल राबड़ी आवास

0
1698

पटना, मिथिला मिरर : ओना त’ मकर संक्रांति यानि तीला संक्रांति एहिबेर 15 जनवरी क’ मनाओल जायत। सामान्य तौर पर तीला संक्रांति लगभग हरेक साल 14 जनवरीँके मनाओल जाइत अछि। खास बात इ अछि जे एहि अवसर पर राजनीतिक दल सभ विशेष भोजक आयोजन करैत रहैत छथि। एकटा समय छल जखन लालू यादव द्वारा आयोजित दही-चुडा भोज क्षेत्रीय सहित राष्ट्रीय मीडियाक सुर्खी बनैत रहैत छल। लगभग हरेक सियासी दलक नेता सभ एहन भोजमे शामिल होइत छथि। एहि बेर सेहो बिहारक राजधानीमे एनडीएकेँ विभिन्न घटक दल सभ भोजक आयोजन कएलनि अछि। एहि क्रममे जदयूकेँ प्रदेश अध्यक्ष वशिष्ठ नारायण सिंह अपन पटनाक आवास 36 हार्डिंग रोड पर मकर संक्रांति भोज देलनि जाहिमे कतेकोँ सियासी दिग्गज जुटलाह। भोजमे राज्यपाल लालजी टंडन, मुख्यमंत्री नीतीश कुमार, बीजेपी नेता आ उपमुख्यमंत्री सुशील मोदी, जदयूकेँ राष्ट्रीय उपाध्यक्ष प्रशांत किशोर, लोजपा प्रमुख आ केंद्रीय मंत्री राम विलास पासवान, चिराग पासवान सहित कतेको नेता शामिल भेलाह। एकटा अनुमानकेँ मुताबिक लगभग आठ हजार नेता आ कार्यकर्ता एहि भोजमे शामिल भेलाह।

पासवान सहित अनेको नेता सभ कएलनि भोजक आयोजन
लोजपा प्रमुख आ केंद्रीय मंत्री रामविलास पासवान सेहो भोजक आयोजन केलाह। जाहिमे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार, उपमुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी, विधानसभाध्यक्ष विजय कुमार चौधरी सहित राजगकेँ तमाम बड़का-छोटका नेता सभ शामिल भेलाह। ओतहि भाजपाक विधान पार्षद रजनीश कुमार अपन बेली रोड पर चुडा-दही भोजक आयोजन कएलह। जाहिमे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार, उपमुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी, भाजपाक प्रदेश अध्यक्ष नित्यानंद राय सहित तमाम नेता शामिल भेलाह। दोसर दिस राष्‍ट्रीय लोक समता पार्टी (रालोसपा) विधायक ललन पासवान सेहो अपन बेली रोड आवास पर भोजक आयोजन केलाह। हालाँकि आब रालोसपा एनडीएकेँ घटक दल नै छथि। आब ओ महागठबंधनक हिस्सा बनि गेल छथि।

लालू आवास पर नै भेल चूड़ा-दही भोज 
बिहारमे तिला संक्रांतिक सियासी भोजक एकटा अदभुत नजारा कहियो राजद सुप्रीमो लालू प्रसाद यादवकेँ आवास पर होइत छल। जाहिमे लालू प्रसाद यादव अपन पार्टीकेँ संग-संग विरोधी दलक नेता आ कार्यकर्ताकेँ निमंत्रण द’ बजबैत छलथि। भोजमे लालू अपन परिवारक संग खुद आएल लोक सभकेँ चूड़ा-दही परसैत छलाह। मुदा पछिला दू सालसँ राबड़ी आवास पर एहन नजारा नै देखबाकेँ भेट रहल अछि। लालू प्रसाद यादवकेँ जेलमे हेबाक कारण आयोजन नै भ’ रहल अछि। एहिबेर भोजक आयोजन त’ होइत मुदा लालू यादवकेँ जमानत नै भेटबाक कारण सभ निराश भ’ आयोजन नै कएलनि। हालाँकि, राबड़ी देवीकेँ कहब छनि जे राजद नेता सह विधान पार्षद खुर्शीद अहमद मोहसिनक मृत्यु भ’ गेलासँ पार्टी गमगीन अछि, एहि कारण भोजक आयोजन नै कएल गेल। दोसर दिस बिहार काँग्रेस 15 जनवरीकेँ पटनामे भोजक आयोजन करत।