ATM मशीन मे आगि लगेबाक सुझाव देलनि सांसद पप्पू यादव

    0
    271

    पटना, मिथिला मिरर: जनधिकार पार्टीक संयोजक पपप्पू यादव प्रधानमंत्री के नोटबंदी पर एक बेर फेर निशाना साधैत कहलनि जे, अगर एटीएम मशीन स पैसा नहि निकलैत हो आ ओ बेकार साबित भय रहल अछि त ओहि मे आगि लगा देबाक चाही।

    पप्पू यादव बिहारशरीफ स्थित हाजीपुर मोहल्ला पहुंच कय कहलनि जे, अहि नोटबंदी स आम लोक के बहुत परेशानी भय रहल अछि। संगहि ओ नेताक लय क सेहो टिप्पणी केलनि। अहि दौरान ओ राजनीतिक दल के आरटीआई के दायरा मे अनबाक मांग केलनि।

    पप्पू यादव कहलनि जे, यदि बैंक आ एटीएम मे 500 के नोट एक सप्ताह के भीतर नहि आओत आ आम लोकक परेशानी दूर नहि भेल त हम आ हमर पार्टी सदन के नहि चलय देब, संगहि बिहार के सेहो बंद कय देब।