छात्रवृति मे बढ़ोतरी सं छात्र खुश, एसएफआई कहलक आंदोलन’क जीत भेल

    0
    287

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: पिछड़ा आ अतिपिछड़ा वर्गक छात्रक छात्रवृति मे बढ़ोतरी कय देला सं छात्र मे खुशी देखल जा रहल अछि। खासकय ‘एसएफआई’ जे अहिक लेल आंदोलन केने छल। गत 15 नवम्बर क लहेरियासराय टावर स जिला कल्याण पदाधिकारी कार्यालय तक प्रदर्शन के फलस्वरूप छात्रवृतिक राशि के बढ़ोतरी प्राप्त करबा मे सफलता हासिल केलक अछि।

    प्रदर्शन के बाद जिला संयोजक मुकुल राज सह-संयोजक मो0 गुलफराज, छात्र नेता राजेश प्रशाद, रोहित, नवाब, प्रणव, हेलाल, कदीर, कमर, विक्की, सुजीत एवं कॉलेज के दर्जनो छात्र जिला पदाधिकारी स वार्ता केलनि। जाहि मे दरभंगा कॉलेज आॅफ इंजीनियरिंग दरभंगा के छात्रक छात्रवृति राशि मे प्रति छात्र लगभग 4 हजार रुपैयाक बढ़ोतरी भेल।

    राशिक भुगतानक पत्र 16 नवम्बर के आदेश संख्या 1653 दिनांक 16/11/16 के द्वारा बैंक प्राचार्य के निर्गत करा देल गेल। ई सूचना आय कॉलेज के नोटिस बोर्ड पर लगाओल गेल।