मधुबनी मे सब्जी विक्रेता केलक नव तरीका सं विरोध प्रदर्शन

    0
    262

    मधुबनी, मिथिला मिरर: अस्थायी छोट सब्जी विक्रेता आ किसान द्वारा समाहरणालय के समक्ष मुख्य सड़क के बीचोबीच सब्जी बाजार लगाकय नाराजगी व्यक्त कायल गेल। करीब चारि घंटा तक सब्जी बाजार मे तब्दील हेबाक कारने अहि मुख्य मार्ग सं वाहन तथा आम लोकक आवाजाही मे भारी परेशानी भेल।

    समाहरणालय के समक्ष बृहस्पति दिन पूर्वाह्न 11 बजे तक सब्जी बाजारक संचालन भेला सं शहरवासी भौचक छल। सब्जी विक्रेता व किसानक नाराजगी के अहि नव तरीका सं एतय सं जाय वला लोक प्रशासनक उदासीनताक चर्चा कय रहल छल। समस्या के और विकराल बनय सं रोकबाक लेल थाना चौक पर पुलिसकर्मी अहि मार्ग सं जाय वला साइकिल, रिक्शा व अन्य वाहन के दोसर मार्ग सं जेबाक नसीहत डाइट छल।

    अहि दौरान सब्जी विक्रेता व किसान द्वारा जिला प्रशासन के एकटा स्मार पत्र सौपल गेल। स्मार पत्र मे स्थानीय गिलेशन बाजारक सब्जी व्यापारी द्वारा किसानक शोषण, गिलेशन बाजारक सब्जी विक्रेता द्वारा बल पूर्वक कम मूल्य देनाय, स्थानीय विक्रेता द्वारा जबरन वसूली पर रोक के अलावा ग्रामीण क्षेत्रक सब्जी किसानक लेल शेड मुहैया करेबाक मांग पर चर्चा कायल गेल।

    सब्जी बाजारक रूप दय सड़क जाम करय वला मे मो. हसन, मो. साबिर, मो. गुलजार, मो. शहीद, मो. शफीकुल्लाह, मो. नसीम, म. शफीक, रफीक, मिश्रीलाल यादव, अरसी आलम, सहदेव, अनिल कुमार महतो, मो. फूल हसन, मो. गुलजार, मो. बजरूद्दीन, हृदय महतो, राजेश कुमार महतो, भोगेन्द्र, विलास कुमार, मनोज कुमार, सत्रुघ्न कुमार महतो सहित अन्य शामिल छल।