एसकेएमसीएचमे संविदा पर बहालीक गलत सूचना पर पहुंचल अभ्यर्थीक हंगामा

    0
    292

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: एसकेएमसीएचमे संविदा पर बहालीक गलत सूचना पर दर्जनो अभ्यर्थी अस्पताल पहुंच गेल। अस्पताल प्रबंधन दिस सं ई बहालिक सुचना गलत हेबाक बात कहला पर अभ्यर्थी हंगामा शुरू कए देलक। प्राचार्य डॉ. विकास कुमार, अधीक्षक डॉ. जीके ठाकुर व उपाधीक्षक डॉ. सुनील शाही द्वारा बहुत बुझेला पर अभ्यर्थी शांत भेल।

    पारा मेडिकलकर्मीक बहालीके लेल एक सूचना पर दर्जनों अभ्यर्थी पहुंचल छल। अधीक्षक द्वारा पूछल गेल जे, ई गलत जानकारी कतय भेटल? बिना विज्ञापन निकालने आ देखने अहाँ सब कोना आबि गेलहुँ। ओ कहलनि जे, एतय पूर्वमे कार्यरत कर्मीक संविदाक नवीनीकरण कएल जा रहल अछि। अहिकेँ बाद छात्र उग्र भए गेल।

    दुबारा प्राचार्य डॉ. विकास कुमार समझाकय अभ्यर्थीकेँ वापस पठेलनि। अधीक्षक डॉ. जीके ठाकुर कहलनि जे, गलत सूचना देबए वलाक पहचान कए ओकरा खिलाफ कार्रवाई कएल जाएत। ओ कहलनि जे, यदि नब बहाली होएत त ओकर सूचना निकालल जाएत, विज्ञापन जारी कएल जाएत।