टाॅपर घोटालामे बिहार विद्यालयक पूर्व सचिव हरिहर नाथ झा भेलाह गिरफ्तार

    0
    271

    दिल्ली-मिथिला मिररः बिहारक बहुचर्चित इंटर टाॅपर घोटालक मामलामे एसआईटीक टीम बिहार विद्यालय परीक्षा समितिक पूर्व सचिव आ वर्तमानमे प्राथमिक शिक्षामे संयुक्त सचिवक पद पर कार्यरत्त हरिहर नाथ झा कें गिरफ्तार कए लेलक अछि। इंटर टाॅपर घोटाला सं संबंधित फाइलमे पूर्व सचिवक हस्ताक्षर अछि आ हुनकर हस्ताक्षर हेवाक बात पुख्ता सबुत दय रहल अछि जे ओहो अहि कथित घोटालामे शामिल छलाह।
    एतबे नहि टाॅपर घोटालाक अलावे ग्रांट घोटाला आ एफलिएशन घोटालामे सेहो झा केर हाथ हेवाक बाद पटना पुलिस कें चलल अछि। टाॅपर घोटालाक मास्टर माइंड बच्चा राय के घर सं ओकर बेटी शालिनी राय के अधकिचरा एडमिट कार्ड पुलिसकें हाथ लागल अछि जाहिमे सेहो हरिहर नाथ झा केर हस्ताक्षर छल। सोमदिन दुपहर बाद पुलिस हरिहर झा कें कोटमे पेश करत।