मंदिरक पुजेगरीक विश्रामगृह सं पेटीक ताला तोड़ि चोरी

    0
    391

    सुपौल ब्यूरो,मिथिला मिरर-सोनू कुमार भगतः सुपौलक मुख्य बजार स्थित छत्रपुरेश्वर नाथ महादेव मंदिर सह महावीर मंदिरक पुजेगरी रामकिशोर गोस्वामीक विश्राम गृहमे घुसि शनिदिन राइत अज्ञात चोर हुनकर पेटीक ताल तोड़ि 1 लाख 29 हजार टका चोरी कए लेलकनि। प्राप्त जानकारीक अनुसारे मधेपुरा कें डुमरैल गांव निवासी पंडित गोस्वामी छतपुर प्रखंडकें सोहता गाम स्थित अपन जमीनकें बेचि उक्त टकाकें जोगा कऽ रखने छलाह।
    अहि टका सं पंडित गोस्वामी डुमरैल गाममे पक्का घर बनेवाक नियार केने छलाह, मुदा चोरक अहि दांग सं पंडित जीक सब मनोरथ मारल गेलनि। चोरीक अहि घटनाक बाद पंडित उदास छथि। पंडित कहला जे ओ अपन नित्य दिनक तरहें शनिदिनक सेहो मंदिरक प्रांगणमे स्थित विश्रामालय सह भंडार गृहमे राइत करीब ग्यारह बजे पहुंचलाह, सब काज संपन्न कए पंडित जी अपना निजी निवासमे चलि गेलाह। भोरमे जखन पंडित गोस्वामी मंदिरक प्रारंगण पहुंचला त हुनकर होश उड़ि गेलनि, कारण हुनकर पेटीक ताला तोड़ि सबटा टका गायब कय देने छल। अहि घटनाक बाद पंडित अपन शिकायत छातापुर थाना पुलिसकें सौंप देलाह।