भोजपुरी भाषी क्षेत्र गोपालगंज पहुंचल ‘पाग बचाउ अभियान’ डाॅ.बीरबल झाकेर भव्य स्वागत

    0
    407

    दिल्ली-मिथिला मिररः एखन धरि त मिथिला क्षेत्रमे भोजपुरी गीत आ सिनेमा अतिलोकप्रिय होइत रहल अछि मुदा एहन पहिल बेर देखल गेल जे भोजपुरीक गढ़मे मैथिलीक सम्मान। मिथिलालोक फाउंडेशन आ डाॅ.बीरबल झा केर अगुआईमे शुरू भेल ‘पाग बचाउ अभियान’ मिथिला सं निकली आब भोजपुरी भाषा-भाषी क्षेत्रमे दस्तक दय चुकल अछि। बुधदिन अर्थात 20 अप्रैल कऽ भोजपुरक गढ़ जिला गोपालगंजमे पाग बचाउ अभियान आ डाॅ.बीरबल झाकेर भव्य स्वागत कैल गेलनि।
    गोपालगंज जिलामे कुंज बिहारी श्रीवास्तव पाग बचाउ अभियानक अगुआ छथि आ ओ गर्मजोशी सं अहि अभियानकें गोपालगंज पहुंचला पर स्वागत केलाह, संगहि इहो कहैत भेलाह जे मिथिलाक अहि सम्मानकें भोजपुरमे पावि गौरवान्वित भय रहल छी। एतबे नहि गोपालगंजमे पाग बचाउ अभियानक गीत ‘आउ सब मिलि कऽ मिथिला कंे पाग पहिरि’ कें सेहो बहुत बेसी सराहना भय रहल अछि। संगहि मैथिली-भोजपुरी मित्रताक परिचय दैत स्थानीय निवासी लोकनि कहला जे मैथिली-भोजपुरी एक दोसराक पूरक अछि, चाहे दिल्लीमे मैथिली-भोजपुरी अकादमी स्नेह हो आ कि जमीन पर एक दोसराक प्रति बोलीक मिठास।
    कुंज बिहारी श्रीवास्तवक अगुआईमे गोपालगंजमे आयोजित कार्यक्रममे निराग अस्थाना, धन्नंजय कुमार, संदीप कुमार सिंह, रवि श्रीवास्तव, प्रदीप वर्मा, अजय यादव, प्रभात गुप्ता, ओम प्रकाश मिश्रा, रोशन कुमार सहित अन्य लोकनि उपस्थित छलाह।