बिहारमे 12 गोट जिलाक लेल सेना भर्ती रैली आए सं

    0
    291

    कटिहार, मिथिला मिरर: जिलाकेँ आर्मी कैंप गढ़वाल मैदानमे 12 जिलाकें लेल सेना भर्ती रैली मंगलदिन सं शुरू होएत। जाहिमे विभिन्न जिलाक लेल अलग-अलग तिथि निर्धारित अछि, जे 15 अप्रैल तक चलत। भर्ती रैलीमे लगभग 46259 अभ्यर्थी शामिल हेताह। सेना भर्ती बिहार आ झारखंडके कार्यवाहक उप महानिदेशक कर्नल पुष्पेंद्र मायर कहलनि जे, भर्ती रैली बांका, बेगूसराय, कटिहार, खगडिय़ा, सुपौल, अररिया, मधेपुरा, भागलपुर, पूर्णिया, मुंगेर, सहरसा एवं किशनगंज जिलाक अभ्यर्थीकें लेल आयोजित अछि।

    ओ कहलनि जे, अनुशासित, चुनौतीपूर्ण एवं मातृभूमिक सेवाके इच्छुक युवाकें सेनामे भर्ती हेबाक अवसर अछि। ओ कहलनि जे, भर्तीक लेल आबए वला युवाकें दलाल सं सावधान रहबाक जरूरत अछि। सेनामे भर्तीक प्रक्रिया पूर्ण रूपे पारदर्शी अछि। दलाल सेनामे भर्तीक दावा कए गरीब आ बेरोजगार युवाकें ठकबाक काज करैत अछि।