दू गुटक बीच जमिकय पथराव, बवाल मे आधा दर्जन लोक घायल

    0
    272

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: समस्तीपुर के पटोरी थाना क्षेत्रक हवासपुर गाम मे बुधदिन दू गुटक बीच आपसी विवाद मे भीषण संघर्ष भेल। भीड़ एकटा मोटरसाइकिल के आगि लगा देलक। भागैत लोक आ घर पर पथराव कायल गेल। आक्रोशित लोक पटोरी-समस्तीपुर पथ के जाम कय देलक।

    घटनास्थल पर पटोरी, मोहीउद्दीन नगर, हलई तथा मोहनपुर ओपी पुलिस के बजाओल गेल। बाद मे पुलिस के त्वरित कार्रवाई के आश्वासन पर जाम हटाओल गेल। घटनाक्रम मे आधा दर्जन सं अधिक लोक घायल भय गेल, जकर चिकित्सा अनुमंडलीय अस्पताल मे कराओल जा रहल अछि।

    मंगलदिन साँझ मे हवासपुरक युवक सब्जी लय क आबि रहल छल। हवासपुर चौकक समीप ओ भीड़ मे फंसी गेल। जहन रस्ता मांगलक त किछु लोक ओकर पिटाई कय देलक। बाद मे अजीत अप्पन दू टा भाइक संग ओतय पहुंचि कय मारिपीट करय वला के ताकि क पिटाई कय देलक। घायलावस्था मे तीनू के चिकित्साक लेल अस्पताल पठाओल गेल। घटना के बाद दुनू पक्षक बीच भेल झड़प मे आधा दर्जन लोक घायल अछि।