मां’क मौतक बाद कफन के लेल पांच सौ के नोट लय भटकैत रहल युवक

    0
    284

    काला धन पर मोदी सरकारक प्रहार के बाद लोकक परेशानी सामना आबय लागल अछि। मधेपुरा वार्ड नंबर 11 निवासी मोहम्मद ऐनाउल अप्पन माँ’क मौत के बाद कफन के लेल दुपहर बाद धरि बाजार मे भटकैत रहल। मुदा कोनो दुकानदार ओकरा कफन नहि देलक, किया कि ओकरा लग पांच सौ के नोट छल।

    बाद मे स्थानीय लोकेक आ वार्ड नंबर 11 के वार्ड आयुक्त के पति मोहम्मद इशरार अहमद आर्थिक मदद कय कफन खरीदबेलक। मधेपुरा मे दोकानदार पांच सौ आ हजारक नोट लेबा सं इंकार कय रहल अछि। लोक नहि तरकारी खरीद पबैत अछि आ ने राशन।