लहेरियासराय मे शराबक संग एक गिरफ्तार

    0
    285

    लहेरियासराय, मिथिला मिरर-निशांत झा: उत्पाद विभागक टीम बुधदिन करीब साढ़े दस बजे गुप्त सूचनाक आधार पर छापा मारि कय 180 एमएल के 16 बोतल बंगाल निर्मित शराब बरामद केलक अछि, संगहि लहेरियासराय थानाक अभंडा निवासी प्रकाश पासवान के घर स शराबक संग गिरफ्तार कायल गेल अछि।

    सब शराब फ्रूटी एहेन डिब्बा मे बंद छल। ओतहि मंगलदिन देर राति नगर थाना क्षेत्रक शिवाजीनगर मोहल्ला मे उत्पाद विभाग गुप्त सूचना पर छापेमारी कय 22 बोतल विदेशी शराब बरामद केलक अछि। हालांकि, छापेमारीक भनक लागला सं शराब कारोबारी भगबा मे सफल रहल।