चंपारण सत्याग्रहकें शताब्दी वर्षक उपलक्षमे स्मारिकाक विमोचन

    0
    324
    दिल्ली, मिथिला मिरर: सोमदिन अशोका रोड स्थित भाजपा मुख्यालयमे भाजपाक राष्ट्रीय अध्यक्ष अमित शाहकें द्वारा ‘चम्पारण सत्याग्रहकें’ एक सौ साल नामक स्मारिकाक विमोचन कएल गेल। विमोचन करैत अमित शाह कहलनि जे, ई स्मारिका सही अर्थमे आजुक युवाक लेल गांधी जीकें मूल्यक दिशानिर्देश करत। स्मारिकाक विषय वस्तु एवं प्रस्तुतिक सराहना करैत ओ कहलनि जे, आजुक युवा अपन बात सीधे-सीधे कहब आ सुनब पसंद करैत अछि, आ ई स्मारिका गांधी जीक संदेशकें सहजता सं रखबामे समर्थ अछि। उन्नत भारत के बैनर तर स्मारिकाक प्रकाशन कएल गेल अछि।
    अहि अवसर पर स्मारिकाकें संपादक उपेन्द्र चौधरी, कार्यकारी संपादक ब्रजेन्द्र नाथ झा, प्रबंधक संपादक अभिषेक मिश्र, सलाहकार संपादक मदन झा, नमामि भारतके संपादक दिग्विजय चतुर्वेदी, सहारा न्यूज नेटवर्कके वरीष्ठ पत्रकार मुकुन्द बिहारी, बीजेपी एससी मोर्चाके राष्ट्रीय महामंत्री संजय निर्मल, बीजेपी नेता विनोद कुमार बिन्नी, बीजेपी दिल्ली प्रदेशक प्रवक्ता संदीप दुबे, नवीन सिन्हा आ राहुल झा उपस्थित छलाह।
    विमोचन समारोहके समय एससी मोर्चाके महामंत्री संजय निर्मल कहलनि जे, गांधी जीकें सदैव दलितक उद्धारकके रूपमे प्रसारित प्रचारित कएल जाइत रहल अछि, मुदा ई समारिका अहि अवघारणाकें आगू आनैत बताबैत अछि जे, गांधी जीक लेल दलित सिर्फ जाति नहि छल। बल्कि अंग्रेजी हुकूमकके पैर तर दबाओल सब भारतीय छल।
    उन्नत भारतके बैनर तर ‘चम्पारण सत्याग्रहकें’ शताब्दी वर्ष पर अहि स्मारिकाक प्रकाशन कएल गेल अछि। जाहिके संरक्षक संपादक सुलभ इंटरनेशनलके संस्थापक विन्देश्वरी पाठक, संपादक उपेन्द्र चौधरी, कार्यकारी संपादक ब्रजेन्द्र नाथ झा आ प्रबंध संपादक अभिषेक मिश्र छथि। स्मारिका निकालबाक पाछु उन्नत भारतक एकटा उद्देश्य अछि जे, गांधी जीकें कर्मभूमि चंपारण आ एतएकें किसान द्वारा चलाओल गेल आंदोलन सं आए नब पीढ़ीकें कोना रू-ब-रू कराओल जाए।