बिहार विधान मंडल मे पास भेल ‘जीएसटी’ बिल

    0
    249

    पटना, मिथिला मिरर: मंगलदिन बिहार सरकारक एक दिनक विशेष सत्रक दौरान बिहार विधानसभा मे जीएसटी बिल सर्वसम्मति स पास कराओल गेल। विशेष सत्र मे 122वां संविधान संशोधन विधेयक के सेहो पेश कायल गेल। सदन मे हुई भेलाक बाद सर्वसम्मति स जीएसटी के पक्ष मे राजकीय संकल्प लेल गेल। जकरा बाद विधान परिषद् मे सेहो सर्वसमत्ति स जीएसटी बिल के पास कराओल गेल।

    सदन मे बिल पर चर्चा सेहो कायल गेल। अहि मामला मे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहलनि जे, जीएसटी बिल स पारदर्शिता आयत आ दू नम्बरी कारोबार पर रोक लागत। नीतीश कुमार सदन मे कहलनि जे, हम शुरू स अहि बिल के पक्षधर छी।

    सदन मे नेता प्रतिपक्ष डा. प्रेम कुमार सेहो अप्पन बात रखलथि। जकरा बाद बिल के सर्वसम्मति स पास कायल गेल। 29 मे स आधा, यानी 15 राज्यक विधानसभा मे मंजूरी के बाद अहि विधेयक के राष्ट्रपति लग पठाओल जायत। ज्ञात हो कि असम के बाद बिहार अहि बिल के पास करय बला दोसर राज्य बनि गेल।