तिरंगा यात्राक नेतृत्व करबाक लेल मुजफ्फरपुर पहुँचलाह स्वास्थ्य मंत्री जे पी नड्डा

    0
    272

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: आई मंगलदिन भाजपाक तिरंगा यात्रा मे शामिल हेबाक लेल केन्द्रीय स्वास्थ्य मंत्री जे पी नड्डा मुजफ्फरपुर पहुंचलाह। मुजफ्फरपुर पहुंचला पर केन्द्रीय मंत्री के भाजपा कार्यकर्ता जगह-जगह भव्य स्वागत केलनि।

    यात्राक क्रम मे नड्डा शहीद खुदीराम बोसक फांसी स्थल पर जा कय शहीद के नमन केलनि। मंत्री शहीद भगवान लाल आ कंपनी बाग स्थित प्रफुल्ल चाकी तथा खुदीराम बोसक प्रतिमा पर माल्यार्पण केलनि। अहि से पहिने स्वास्थ्य मंत्री जे पी नड्डा मीनापुर के चैनपुर गाम जा कय शहीद जुब्बा सहनीक प्रतिमा पर सेहो माल्यार्पण केलनि।

    यात्रा मे शामिल मुजफ्फरपुरक सांसद अजय निषाद, स्थानीय विधायक सुरेश शर्मा सहित भाजपाक बहुतो वरिष्ठ नेता शहर मे निकालल गेल तिरंगा यात्रा मे भाग लेलनि। मंत्री नड्डा शहरक आम्रपाली ऑडिटोरियम मे लोक के संबोधित सेहो केलनि।