मिथिला-मैथिलीक समर्पित आंदोलनी बाबूसाहेब चौधरी’क जन्म शताब्दी मे संगोष्ठीक आयोजन

    0
    346

    दिल्ली, मिथिला मिरर: मिथिला विकास परिषद कोलकाताक तत्वावधान मे आगामी २५ सितम्बर, २०१६ तदनुसार रविदिन कोलकाताक बड़ाबाजार लाइब्रेरी स्थित आचार्य विष्णुकांत शास्त्री सभागार मे मिथिला- मैथिलीक लेल समर्पित आंदोलनी स्व० बाबूसाहेब चौधरी जीक जन्म शताब्दी एवं आधुनिक मैथिली गीत सम्राट, अध्यापक एवं कवि चूड़ामणि स्व० काशीकांत मिश्र ‘मधुप’ जीक स्मृति मे आयोजित होमय जा रहल अछि। संगोष्ठीक संदर्भ मे “मिथिला विकास परिषद”क अध्यक्ष अशोक झाक कहब छन्हि जे संगोष्ठी प्रत्येक दृष्टिकोण सँ ऐतिहासिक होयत । झा बतौलन्हि जे परिषद द्वारा आयोजित एहि राष्ट्रीय संगोष्ठी केर माध्यमें एक दिश बाबूसाहेब चौधरी जीक आंदोलनात्मक छवि कें सम्मानित कयल जायत एवं दोसर दिश कवि चूड़ामणि मधुप जीक स्मृति मे कार्यक्रमक आयोजन सँ प्रमाणित भs जायत जे कोलकाता, मैथिली आंदोलनी तथा साहित्यिक महत्व कें हृदयस्थ सम्मान प्रदान करैत अछि । प्रस्तावित संगोष्ठीक संदर्भ मे परिषदक महासचिव अंजय चौधरी आओर भाष्कर झा बतौलन्हि जे कार्यक्रम मे भाग लेनिहार विद्वतजन २४ सितम्बर कें कोलकाता पहूँच जेताह । उद्घाटन सत्रक मंचक नामकरण वीर रसक प्रख्यात कवि राघवाचार्य मंच राखल गेल अछि एवं प्रथम सत्र केन्द्रित रहत स्व० चौधरी जीक नाम पर, दोसर सत्र मैथिली संस्कार गीत व मधुप जीक गीत पर आधारित रहत एवं तेसर सत्र मे गीतनादक भव्य प्रस्तुति होयत।

    संगोष्ठीक तीनू सत्र कें क्रमश: महान शिक्षाविद् स्व० हरिश्चन्द्र मिश्र ‘मिथिलेन्दु’, प्रख्यात गीतकार उपेन्द्र ठाकुर ‘मोहन’, एवं सुप्रसिद्ध गीतकार मार्कण्डेय प्रवासीक नाम पर मंच समर्पित कयल गेल अछि । कार्यक्रमक महत्व, गीत गाईन क्षेत्र, पत्रकारिताक क्षेत्र तथा मैथिली आंदोलनक क्षेत्र मे काज केनिहार कें सुप्रसिद्ध समाजसेवी कामदेव झाक सौजन्य सँ परिषद द्वारा “मैथिली सम्मान – २०१६” सँ सम्मानित कयल जायत । कार्यक्रमक दौरान मैथिली गीत-गायन क्षेत्र मे योगदानक हेतु आशा मिश्र, गीता मिश्रा, निशा झा, अंबे झा, अंजना इस्सर कें, प्रभात खबरक सम्पादक तारकेश्वर मिश्र एवं मैथिली सोशल मिडिया पत्रकारिताक क्षेत्र मे अमूल्य योगदान हेतु “मिथिला मिरर” केर युवा संस्थापक सम्पादक ललित नारायण झा कें “मिथिला सम्मान – २०१६” सँ सम्मानित कयल जायत। कार्यक्रमक महत्व कें आओरो बेशी बढ़िया बनेबाक निमित्त “मिथिला विकास परिषद”क राष्ट्रीय प्रवक्ता राजकुमार झा मुंबई सँ राष्ट्रीय अध्यक्ष अशोक झा सँ दूरभाष पर सम्पर्क करैत कहलैथ जे परिषदक चरित्रक अनुसार आयोजित एहि ऐतिहासिक संगोष्ठी मे मैथिली आंदोलनक समर्पित आंदोलनी कें सेहो सम्मानक सूचि मे शामिल कयल जेबाक चाही । परिषद एहि प्रस्ताव कें त्वरित आ गंभीरतापूर्वक आवश्यक बैसार करैत निर्णय लेलक जे मैथिली आंदोलनक क्षेत्र मे समर्पित आंदोलनी कमलेश झाजी कें विशेष रूपें “मैथिली सम्मान – २०१६” सँ सम्मानित कयल जायत । परिषद द्वारा लेल गेल एहि निर्णय के राष्ट्रीय प्रवक्ता राजकुमार झा स्वागत कयलनि ।

    कार्यक्रम संबंधित विशेष सूचना :

    कार्यक्रमक उद्घाटन सत्रक अध्यक्षता साहित्य अकादमी, नई दिल्ली मे मैथिली परामर्शदात्री समितिक पूर्व सदस्य एवं “मिथिला विकास परिषद”क राष्ट्रीय अध्यक्ष अशोक झा तथा साहित्य अकादमीक पूर्वोत्तर क्षेत्र कें पूर्व सचिव व बंगलाक जानल पहचानल साहित्यकार रामकुमार मुखोपाध्याय उद्घाटन करताह । उद्घाटन सत्रक दौरान वरिष्ठ साहित्यकार डा. बुद्धिनाथ मिश्र, कामदेव झा, मैथिली परामर्शदात्री समितिक वर्त्तमान सदस्य, नई दिल्ली, सियाराम झा ‘सरस’, मैथिली अकादमी, बिहारक पूर्व अध्यक्ष कमलाकांत झा, वरिष्ठ कवि लक्ष्मण झा ‘सागर’, साहित्यनुरागी प्रो. शंकर झा, शिपिंग कॉरपोरेशन ऑफ इंडिया के पूर्व व्यवस्थापक सृष्टिनारायण झा कें अलावा तारकेश्वर मिश्र उपस्थित रहता । अंजय चौधरी संगोष्ठीक आयोजन – प्रायोजन तथा भाष्कर झा द्वारा बीज भाषण प्रस्तुत कयल जायत । मैथिली कवि कामेश्वर झा ‘कमल’ सम्मानित आगन्तुक अतिथिक स्वागत करता ।

    संगोष्ठीक प्रथम सत्रक अध्यक्षता “कर्णामृत” केर सम्पादक राजनंदनलाल दास करता । स्व० चौधरीजी पर केन्द्रित विभिन्न विषय पर अशोक झा, कमलेश झा, रामलोचन ठाकुर, अजय कुमार तिरहुतिया तथा लक्ष्मण झा ‘सागर’ द्वारा आलेख पाठ कयल जायत । नाट्यकार सुशील झा, प्रो. शंकर झा, सियाराम झा ‘सरस’ एवं सृष्टिनारायण झा द्वारा स्व० चौधरी जीक संग बिताओल गेल अविस्मरणीय संस्मरण कें प्रस्तुत करता ।

    स्व० कवि चूड़ामणि काशीकांत मिश्र ‘मधुपजी’ पर आधारित दोसर सत्रक अध्यक्षता नाट्यकार कृष्णचन्द्र झा ‘रसिक’ एवं सियाराम झा ‘सरस’, डॉ. बुद्धिनाथ मिश्र, कमलाकांत झा, विनय भूषण ठाकुर, आमोद झा एवं अमरनाथ झा द्वारा आलेख पाठ प्रस्तुत कयल जायत ।

    मैथिली संस्कार गीत एवं मधुप जीक गीत पर आधारित गीतनादक कार्यक्रमक प्रस्तुति “मिथिला महिला मंच” द्वारा कयल जायत । एहि कार्यक्रमक अध्यक्षता मिथिला महिला मंचक अध्यक्षा शैल झा करती तथा मंच संचालन गोपीकांत झा ‘मुन्ना’ द्वारा कयल जायत । विगत् आयोजित “गीत गाईन प्रतियोगिता” मे विजयी कलाकार सुश्री आशा मिश्रा, सुश्री गीता मिश्रा, सुश्री निशा झा एवं सुश्री अंबे झा द्वारा मैथिली संस्कार गीत यथा पराती, सामा चकेबा, सोहर, समदाउन, विषहारा, कोबर, वटगवनी, उदासी, झरनी तथा महेशवाणी गीतक प्रस्तुति कयल जायत ।

    राजकुमार झा (मुम्बई सं पठाओल गेल लेख)