एतय एक बजे लागि जाइत अछि स्कूलमे ताला, नहि भेटैत अछि मध्याहन भोजन

    0
    266

    दरभंगा, मिथिला मिरर: बेनीपुरक प्राथमिक एवं मध्य विद्यालयमे मध्याहन भोजनक स्थिति बदतर अछि। अधिकांश विद्यालयमे बच्चाक संख्या अधिक देखाकय अहि योजनाक राशि एवं चाउरक गोलमाल कएल जाइत अछि। विद्यालयमे मध्याहन भोजनक हालत एहेन अच्छी जे, 1:20 बजे स्कूलक सब वर्गमे ताला लागि जाइत अछि। विद्यालयमे ने त शिक्षककें अता पता आ ने छात्र छात्राक।

    1:30 बजे विद्यालय शिक्षा समितिक अध्यक्ष महेन्द्र नारायण पासवान एवं सचिव मीरा देवी पहुंचलनि त कहलनि, विद्यालयमे 1.20 बजे शिक्षक एवं छात्र छात्राक नहि रहनाइ दुर्भाग्यक बात अछि। अध्यक्ष कहलनि जे, आय बच्चाकेँ मध्याह्न भोजन तक नहि भेटल अछि।

    प्रधानाध्यापिका गीता रानी समय सँ पहिने विद्यालयमे ताला लगाकय चलि जाइत छथि। स्कूलमे मात्र दू टा शिक्षकके कारण बच्चाक पढ़ाई-लिखाई चौपट अछि। विद्यालयकें सचिव मीरा देवीक कहब छलनि जे, 1.20 बजे सँ पहिने प्रधानाध्यापिका विद्यालयमे मौजूद चली।