सीतामढ़ीमे 108 गोट बरुआक भेल सामूहिक उपनेन संस्कार

    0
    347

    सीतामढ़ी, मिथिला मिरर: ब्रह्मर्षि विचार मंचक तत्वावधानमे बृहस्पति दिन जिला स्थित कामिनी विवाह भवन पुनौरा परिसरमे विधि विधान सं सामूहिक यज्ञोपवित संस्कार समारोह आयोजित कएल गेल। जाहिमे 108 गोट बरूआक सामूहिक यज्ञोपवित संस्कार कराओल गेल। कार्यक्रमक उद्घाटन महंत श्रीश्री 108 कौशल किशोर दास जी महाराज केलनि। मंचक अध्यक्ष कृष्ण मोहन सिंह, उपाध्यक्ष नागेश्वर सिंह, आचार्य विद्यानंद पांडेय व डा. राजीव कुमार काजू संयुक्त रूप सँ दीप प्रज्वलित कय केलनि।

    यही अवसर पर अध्यक्ष कृष्ण मोहन सिंह कहलनि जे, समाजक विभिन्न पुरूधा सँ आर्थिक सहयोग लय अपव्यय सँ बचैत आडंबर रहित उपनयन संस्कार ब्रह्मर्षि विचार मंच आयोजित करबैत रहल अछि। उपनयन बालककें तखन धारण करबाक चाही जखन ओकर बुद्धि आ भावनाक एतेक विकास भए जाए कि अहि संस्कारक प्रायोजनकें बुझि कए ओकर निवर्हनक लेल उत्साहपूर्वक तैयार रहय।

    ओ कहलनि जे, उपनयनक व्रत बान्हयाल जा सकैत अछि। व्रत सँ बन्हल बिना मनुष्यक उत्थान संभव नहि अछि। उपनयनकें नौ धागा नौ गुणक प्रतीक अछि। उपनयन भारतीय धर्मक पिता अछि आ गायत्री भारतीय संस्कृतिक माँ।