विधायक जीवेश कुमार केलनि सामुदायिक भवनक शिलान्यास

    0
    349

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: जालेकें पूर्वी पंचायतक पौनी गाममे स्थनीय विधायक जीवेश कुमार सात लाखक लागत सँ सामुदायिक भवनक शिलान्याश केलनि। भाजपाक पंचायत अध्यक्ष बैद्यनाथ महतोक अध्यक्षतामे शनिदिन आयोजित समारोहकें संबोधित करैत विधायक कहलनि जे, अहि सामुदायिक भवनकें निर्माण सँ गामक लोककेँ बैसबाक लेल एकटा स्थान भेटि सकैत अछि।

    ओ कहलनि जे, पंचायतमे भए रहल विकास काजक गुणवत्ता पर सब आपसी विमर्श कय नजरि राखि सकताह। सामाजिक कुरीतिक बिरुद्ध लड़ाईमे समुदाइक भवन मिलक पाथर साबित होएत। ओ उपस्थित लोककेँ प्रधानमंत्री प्रधानमंत्री आवास योजना सँ अवगत करौलनि।

    ओ कहलनि जे, आब घरमे शौचालय, नलक पानि आ बिजली सेहो रहत। विधायक आग्रह केलनि जे, बच्चाकें विद्यालय पठाउ, आ शिक्षित बनाऊ। समारोहकें संबोधित करय वलामे पंचायतक मुखिया आलिया प्रवीण दिग्विजय नारायण सिंह, मुनचुन बाबु, डॉ0 निरंजन पूरी, बिपिन कुमार पाठक, अतहर इमाम बेग, अरुण श्रीवास्तव, सहज नारायण झा, छोटे पासवान, चमचम बेग आदि शामिल छलाह।