भाया मुजफ्फरपुर होइत राजेन्द्र नगर-जयनगर इंटरसिटीक परिचालन शीघ्र

    0
    285

    पटना,मिथिला मिरर-सुजीत कुमार झाः जयनगर आ पटनाक लेल त सोम सं शनिदिन धरि इंटरसिटी ट्रेनक परिचालन भये रहल छल मुदा गांधी सेतुक जर्जर स्थिति आ ओकरा बनवामे लगैयवला दीर्घ अवधि कें देखैत पूर्व मध्य रेलवे हाजीपुर अहि बातक निर्णय पर विचार कए रहल अछि जे पटना, राजेन्द्र नगर सं जयनगरक लेल एकटा आओर इंटरसिटी ट्रेनक परिचालन शीघ्र शुरू कैल जाए। अहि ट्रेनक परिचालन सं यात्रीकें ओहि कात सं अहि कात ऐवामे सहजता हेतनि आ भीड़कें सेहो नियंत्रित कैल जाएत।
    इ ट्रेन राजेन्द्र नगर सं भोरे जयनगरक लेल प्रस्थान करत जखन कि ओहि दिन राइत तक इ ट्रेन पुनः पटना वापस आबि जाएत। मिथिला मिरर सं भेल बातचीतमे जनसंपर्क कार्यालय, पूर्व मध्य रेलवेक एकटा अधिकारी जनौलनि कि अहिपर रेलवे बोर्ड विचार कए रहल अछि आ अहि ट्रेनकें शीघ्र ओकरा पथ पर बढ़ओल जाएत। सब सं खास बात इ जे वर्तमानमे जयनगर, समस्तीपुर, बरौनी, मोकामा होइत चलि रहल इंटरसिटी सं अगर रूट पर अहि इंटरसिटीकें परिचालन कैल जाएत।
    राजेन्द्र नगर टर्मिनल सं होइत इ ट्रेन पटना जंक्शन, फुलवारीशरीफ, पाटलिपुत्र, सोनपुर, हाजीपुर, मुजफ्फरपुर, दरभंगा होइत जयनगर पहुंचत। अपनेकें याद हैत जे किछु मास पूर्व प्रधानमंत्री सोनपुर-हाजीपुर कें जोड़ैएवला गंगा पर बनल रेलपुलक उद्घाटन केने छलाह।

    विशेष सहयोगः अमित आनंद।